मिथिला सम्राट :- Hari Nath Jha ( A Biography of Korthu Ratn Harinath Jha) - मिथला दर्सन !
Headlines News :
Home » » मिथिला सम्राट :- Hari Nath Jha ( A Biography of Korthu Ratn Harinath Jha)

मिथिला सम्राट :- Hari Nath Jha ( A Biography of Korthu Ratn Harinath Jha)

Written By Unknown on Saturday 22 March 2014 | 01:17


प्रतिभा एकटा अविरल वस्तु होइत अछि! जेकरा में जतेक तरहक से ततेक निमन व्यक्ति होइत छथि! व्यक्तित्वक परख प्रतिभा माध्यमेटा होययै! कला ककरो बपौती नहि, ओ त साधनाक वस्तु थिक! साधनाक बले कहल जाय छै जे बैजू बाबरा मंजिरा पिघला देने छला आ तानसेनक गीत सुनबा लेल जंगल सँ हिरण सब अबे छल ! एक बेर पबित्र भूमि  मिथिला में बरखा नहि भरहल छलै तखन राजस्थान सँ ध्रुपद गायक सब आबि मेघराग(बादलराग) गेने छल, तत्पश्चात चिक्कन बरखा भेलै! कहबाक भाव इ जे संगीत त जानवरोक पियरगर होय छै आ संगे अदभुत शक्तिशाली सेहौ होयै ! सुर कें जखन गायक/गायकी अपन कंठ दे छथिन त मौन, अह गद-गद भ जाय छै! आधुनिक मैथिली जगत में ऐहने अदभुत नाम अछि, श्री हरिनाथ झा जी !
मैथिली गायन, संगीतकार, आ ध्रुपद गायन सब क्षेत्र में अदभुत प्रतिभा सम्पन्न आदरनीय हरिनाथ झा जीक जन्म मिथिलाक दरभंगा जिला अंतरगत मधुप नगर कोर्थु में सन  6 जून 1967 कें स्वर्गीय बलराम झा आ रामदाय  देवीक परिवार में भेलनि! 
इ राज्कृत जनता उच्च विधालय, शिवनगरघाट(कोर्थु) सँ 1983 में माध्यमिक, 1985 में C.M  Science College,दरभंगा सँ I.Sc केला ओते सँ पदार्थ विज्ञानं सँ 1988 में स्नातक केला! 
शिक्षाक  संगे-संग  इ अपन नैनापन रूचि संगीत दिस सेहो आगू बढला ! इ दरभंगा में खंडेवाल जी सँ संगीतक शिक्षा ग्रहण करैत छला, संगे-संग इ नुक्कर नाटक,इफटा,नेहरु युवा केंद्र आ  आकाशवाणी दरभंगा में तरुण-कुसुम कार्यक्रम में लगातार गाबैत रहला! तत्पश्चात इ दिल्ली आबि गेला, सन 1990 सँ 2001 धरि नीलम कैसेट नई दिल्ली में संगीतकारक पद पर रहला, आ कतेको कैसेट वा कलाकार क अपन संगीतक बल पर हिट बनौलेत! फेर टी- सीरीज में 2001 ई० में इ जट-जटीन   सन पारंपरिक मैथिली गीतक संयोजनक संगीत देलनि!
 
सन 2005 सँ अनवरत रुपे ध्रुपद गायकी में देश-विदेश  में अपन परचम  फहरा रहल  छथि ! इ ध्रुपद संगीतक  विधा ध्रुपद संगीतक  महान गायक  उस्ताद वसिफुद्दीन डागर स  ग्रहण केलैथ,   उस्ताद वसिफुद्दीन डागरक  शिष्य छथि! जे हिनका ध्रुपद गायकीक ज्ञान द रहल छथि !
आइ संप्रति इ दक्षिण अफ्रीका में रहि रहल छथि!
इ कोलकाताक मिथिला विकाश परिषद् दुआरा 2001 में मिथिला सम्राटक अलंकार सँ विभूषित कैल गेला जे हिनक अदभुत मैथिली सेवा लेल देल गेलनि ! छतीसगढ़ केर मैथिली मंच दुआरा विधापतिक गायनक "दादा फाल्के पुरस्कार सँ सेहो सम्मानित छथि!
किछ अन्तराष्ट्रीय आ और दोसरो मैथिली संघक सम्मान स सम्मानित छैथ, जकर जानकारी हमरा नै अछि.....   
हरिनाथ झा जीक, युवा अवस्था क फोटो 
 सवांद:- मनोहर कुमार झा, राजीव मिश्र 
  प्रस्तुति:- अपन मिथिला धाम 
  
Share this article :

No comments:

Post a Comment

 
Support : Creating Website | Johny Template | Mas Template
Copyright © 2011. मिथला दर्सन ! - All Rights Reserved
Template Modify by Creating Website
Proudly powered by Blogger