Juli Jha : New Singing Star of Maithili Music World
![](https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEhw3SGGa5A9vKyNUr9tGbByVNHF2CqfwTmrErq1RDYRP9FfrzexFl6AptIb-lbmNZ5BpYqEsIhVO-lBpp5JEW5POVNaKz_CGQ_k8x63htGOZB-lLz98NjYemAqwJfr3dgKzy5O6Ui15VmE/s640/PicsArt_1394085557907.jpg)
जुली झा मैथिलि गायकी म एकटा नवाका आ यंग चेहरा। मूलतः मिथिला'क रहनिहार जुली झा मैथिलि सिंगर जगत क एकटा नवका आ उभरैत नाम अछि। झा जी जहन ग्यारह वर्षक छलीह तहने सँ ओ अपन रूचि संगीत मे लेबय लगली। पहिल बेरा हिनका अपन हुनर क मौका भेटलैन अपन गामक दुर्गा पूजा क मंच सँ अपन मधुर आवाज सँ जहन जुली झा जी 'विनती सुनियो हे महरानी, गीत गेली त दर्शक हिनका आवाज क बहुते सराहलक, ताहि दिन सँ जुली जी अपन गायकी कैरियर क सुरुवात क देलखिन। फेर बाद म मंचे पर हिनक मुलाकात मैथिलि सिंगर कुमकुम झा जी सँ भेलैन आ ओ हिनका गीत गाबय लेल प्रेरित केलखिन। जुली झा अखन स्कूल म आठमी क्लास म पढ़ी रहल अछि। जुली जी अखन पढ़ाइ क साथ-साथ गायकी क शिक्षा सेहो ल रहल अछि। गायकी छेत्र म अपन पहचान बनेवा लेल हिनका अपन माता-पिता क पूर्ण सहयोग भेट रहल अछि। जुली जी अपन मधुर आवाज सँ करिव दू दर्जन सँ बेसी गीत गाबी चुकल अछि। हिनक पहिल कैसेट गंगा कम्पनी सँ अप्रैल 2012 म आयल जेकर नाम छल 'जटायु मैय्या, एकर अलावा हिनक तिनटा अओरो एल्बम आबि चुकल अछि। जुली जी अपन आयडल क रूप म सारदा सिन्हा क मानैत अछि, आ तेहने मुकाम पाबय चाहैत अछि। जुली झा क अपन गायकी लेल बहुते रास पुरस्कार सेहो भेटल अछि।फिलहाल जुली जी अपन संगीतक शिक्षा ल रहल अछि। उम्मीद अछि जुली झा जी अपन आ अपन माता-पिता क सपना साकार करती, अपन मिथिलाक नाम सेहो रौशन करती।
5 comments:
Give contact number of Julee jha
Give contact number of Julee jha
Given address and contact number of julee jha
Village. Nayagaon Police station. Raiyyam District. Darbhanga bihar
Village. Nayagaon Police station. Raiyyam District. Darbhanga bihar
Post a Comment